जनकपुरधाम ।
पूर्व प्रधानमन्त्री सुशील कोइरालाक स्मृति दिवस मनाओल गेल अछि। एहि अवसर पर नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता विमलेंद्र निधि द्वारा सुशील कोइरालाक लोकतन्त्र, संविधान आ राष्ट्र निर्माणमे रहल योगदानके स्मरण कएल गेल अछि।
नेताले कहलन्हि जे सुशील कोइराला प्रधानमन्त्री रहल समयमे ओ स्वयं भौतिक पूर्वाधार मन्त्री रहल छी। ओही कार्यकालमे नेपालमे दोसरा संविधान सभा मार्फत ऐतिहासिक संविधान जारी भेल छल। संविधान जारी होइत समय देशमे बहुत अन्योल छल, मुदा नेपाली कांग्रेसक नेतृत्वमे नेपाल संघीय, लोकतान्त्रिक, गणतन्त्रात्मक आ समावेशी शासन प्रणालीमे प्रवेश कए सकल।

सुशील कोइराला शुरू सँ ही बी.पी. कोइरालाक निकट सहयोगी रहलाह। राजनीतिक यात्रामे ओ नेपाली कांग्रेसक सभापति आ बादमे नेपालक प्रधानमन्त्री बनलाह। नेपालको राजनीतिक आन्दोलन, लोकतन्त्रक स्थापना, शासन प्रणालीक निर्माण आ संविधान निर्माण आ घोषणा मे सुशील कोइरालाक योगदान के ऐतिहासिक बताओल गेल अछि।
नेताले सुशील कोइरालाप्रति हार्दिक श्रद्धाञ्जली अर्पित करैत कहलन्हि जे हुनकर संघर्ष, त्याग आ सिद्धान्त सँ आजुक लोकतान्त्रिक नेपाल निर्माण भेल अछि।