जनकपुरधाम ।
नेपाली कांग्रेस मधेश प्रदेशक कोषाध्यक्ष, हंसपुर नगरपालिकाक नगर प्रमुख आ मधेश प्रदेश नगरपालिका संघक अध्यक्ष स्वर्गीय प्रदीप कुमार यादव प्रति नेपाली कांग्रेसक शीर्ष नेतासभ श्रद्धाञ्जली अर्पित कएलनि अछि।
नेपाली कांग्रेस मधेश प्रदेशक सभापति समेत रहल मधेश प्रदेश सरकारक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव, कांग्रेस नेता विमलेन्द्र निधि, महेन्द्र यादव, उपसभापति चन्द्रशेखर यादव, महामन्त्री वृहस्पति कृष्ण श्रेष्ठ, सहमहामन्त्री जय नारायण प्रसाद यादव लगायतक नेतासभ स्वर्गीय यादवक निजी निवास पहुँचि कऽ हुनकर पार्थिव शरीर पर पार्टीक झण्डा ओढा कऽ सम्मान आ श्रद्धाञ्जली अर्पण कएलनि अछि।
एहि अवसर पर नेतासभ स्वर्गीय यादवक राजनीतिक योगदान, संगठन निर्माण आ स्थानीय तहक विकासमे हुनकर भूमिका के स्मरण कएलनि। नेतासभ कहलनि जे प्रदीप कुमार यादव मधेशमे लोकतान्त्रिक आन्दोलन आ स्थानीय शासन सुदृढ करऽमे महत्वपूर्ण योगदान देलनि।

श्रद्धाञ्जली कार्यक्रममे पार्टी कार्यकर्ता, स्थानीय जनप्रतिनिधि आ सर्वसाधारणक उपस्थिति रहल। स्वर्गीय यादवक निधन सँ मधेश प्रदेशक राजनीति आ स्थानीय शासनमे अपूरणीय क्षति भेल अछि।