सिरहा कारागार सँ बन्दूक आ गोली बरामद

सिरहा ।

सिरहा सदरमुकामस्थित कारागार सँ बन्दूक आ गोली बरामद भेल अछि। जिला सुरक्षा समितिक सोमबार कएल गेल अनुगमन दौरान कारागारक भीतर सँ एक थान बन्दूक आ दू राउण्ड गोली भेटायल अछि।
एहि संगहि कारागार सँ चुरोट, सुर्ती लगायतक प्रतिबन्धित सामग्री सेहो बरामद कएल गेल अछि। एहि घटनामे संलग्न रहल आरोपमे नाइके इन्द्रजित यादव सहित १३ गोटे केँ कारागार सँ निकालि कऽ प्रहरी हिरासतमे राखल गेल अछि।
सिरहाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी सुरेन्द्र पौडेल जानकारी देलनि जे हिरासतमे लेल गेल कैदीसभ केँ दोसर स्थानक कारागार पठाबयक तैयारी भऽ रहल अछि।


उन्हनि कहलनि, “हमसभ हुनका कारागार सँ निकालि कऽ हिरासतमे रखने छी। आब हुनका दोसर जगह पठायल जायत।”
घटनापछि कारागारक सुरक्षा व्यवस्था कड़ा बनायल गेल अछि आ थप अनुसन्धान जारी अछि।

Share and Enjoy !

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *