तामाकोशी नदीमे भेल बस दुर्घटना मे ज्यान गुमावे वाला लोकक संख्या १२ पहुँचल

काभ्रे ।

रामेछापस्थित तामाकोशी नदीमे भेल बस दुर्घटना मे ज्यान गुमावे वाला लोकक संख्या १२ पहुँचल अछि।
रामेछाप जिला प्रशासन कार्यालयक प्रमुख जिल्ला अधिकारी (सीडीओ) श्याम कृष्ण थापा जानकारी देलनि जे दुर्घटनामे मृतकक संख्या १२ पहुँच गेल अछि। हुनकर अनुसार, बस खसल स्थानमे खोजी अभियान चलाओलाक दौरान अभी ६ गोटे शव बरामद कएल गेल अछि।


एहि सँ पहिले बरामद शव जोड़ैत कुल मृतकक संख्या १२ पहुँचल अछि। घटनास्थलमे सुरक्षा निकाय आ उद्धार टोली द्वारा खोजी आ उद्धार कार्य जारी रहल अछि।
दुर्घटनाक कारण आ विस्तृत विवरणबारे प्रशासन द्वारा अनुसन्धान कएल जा रहल अछि। घटनापछि स्थानीय स्तरमे शोकक माहौल बनल अछि।

Share and Enjoy !

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *